MithiMedia is the leading digital media initiative for Maithili speaking people. It provides content regarding activities, language, literature, technology, business etc. मिथिमीडिया मैथिलीक अग्रणी डिजिटल मीडिया उपक्रम अछि. एहि माध्यम सं भाषा, साहित्य, संस्कृति सहित विविध विषयक सामग्री ओ समाचार-विचार प्रसारित कएल जाइत अछि.
मैथिली पत्रकारिताक क्षेत्र मे उल्लेखनीय योगदान देनिहार वरिष्ठ पत्रकार आ मिथिला मिररक संस्थापक-संपादक ललित नारायण झा कें पीएचडी उपाधि प्रदान कएल गेल अछि। ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय, दरभंगाक मैथिली विभागमे सम्पन्न मौखिकी परीक्षा मे सफल भेलाक बाद विश्वविद्यालय द्वारा हुनका "समकालीन मैथिली पत्रकारिताक दशा ओ दिशा" विषय पर कएल गेल शोधक लेल पीएचडी उपाधि प्रदान करबाक स्वीकृति देल गेल। तत्पश्चात 28…
बिहार राज्य मंत्रि परिषद रैयाम आ सकरी स्थित बंद पड़ल चीनी मिल परिसर मे नव सहकारी चीनी मिल आ गन्ना (कुसियार) आधारित उद्योग स्थापनाक प्रस्ताव कें मंजूर कएलक अछि। एहि परियोजनाक संचालन लेल इण्डियन पोटाश लिमिटेड (IPL) कें स्वीकृति देल गेल अछि। सरकार एहि निर्णय कें मिथिलाक औद्योगिक विकासक दिशा मे ऐतिहासिक डेग मानि रहल अछि। रैयाम मे लगभग 68 एकड़ जमीन पर पहिल चरण मे प्रतिदिन 3,500 टन गन्ना पेराइ क्षमता…
छात्र लोकनिक आन्दोलन उपरान्त धर्मेन्द्र प्रधान (Dharmendra Pradhan) कें शिक्षा मंत्रालय सँ इस्तीफा देबए पड़लनि। एकर बाद जखन ओ संसद पहुँचैत छथि तऽ हुनक भव्य स्वागत होइत अछि। स्वागत मिथिला परम्परा (Mithila Tradition) अनुसार पाग-दोपटा संग सांसद गोपाल जी ठाकुर द्वारा होइत अछि। मीडिया मे एकर खूब चर्च होइत अछि, संगहि प्रश्न उठाओल जाइत अछि। इस्तीफा पश्चात बैकफुट पर गेल पूर्व मंत्री कें एहन भव्य स्वागत केर…
केंद्रीय शिक्षक पात्रता परीक्षा (CTET) मे मैथिली भाषा कें शामिल कएल गेल अछि. केंद्रीय शिक्षक पात्रता परीक्षा के लेल आवेदन 11 मइ सँ 10 जून तक खुलत, आओर परीक्षा 6 सितंबर कें होएत. एहि हेतु विभिन्न विषय लेल जानकारी प्रकाशित कएल गेल अछि. मैथिली भाषा (Maithili Language) लेल कोड 25 देल गेल अछि, जे ई सिद्ध करैत अछि जे आब मैथिली कें औपचारिक रूप सँ केंद्रीय शिक्षक पात्रता परीक्षा मे शामिल कएल गेल अछि. ई…
कोलकाता: प्रख्यात शिक्षाविद आ समाजसेवी भोगेन्द्र झा (70) केर आकस्मिक निधन सोमदिन (20 अप्रील 2026) कें कोलकाता मे भेलनि। हिनक निधन सँ महानगर सहित सम्पूर्ण मिथिला समाज मे गहींर शोक व्याप्त भ’ गेल अछि। निधन केर खबरि सँ शिक्षा जगत, सामाजिक संगठन आ शुभचिंतक लोकनि मे शोक केर लहरि पसरि गेल अछि। ओ एकटा सफल शिक्षाविद मात्र नहि छलाह, बल्कि समाज कें दिशा देनिहार एक दूरदर्शी व्यक्तित्व छलाह। भोगेन्द्र झा अपन…
नेपाल मे बालेन युग शुरू भ' गेल अछि। 35 वर्षीय बलेन्द्र शाह, जे बालेन नाम सँ जानल जाइत छथि, 45म प्रधानमन्त्री रूप मे शपथ लेलनि अछि। बालेन शाह राष्ट्रीय स्वतंत्र पार्टी माध्यम सँ जीत दर्ज क ' इतिहास रचलनि। राष्ट्रपति कार्यालय मे आयोजित भव्य समारोह मे बालेन शाह प्रधानमन्त्रीक शपथ लेलनि। पद आ गोपनीयताक शपथ हिन्दू संस्कारक अनुसार होइत संपन्न भेल। एहि वर्ष रामनवमी केर विशेष दिन बालेन शाह शपथ ग्रहण…
मिथिला ऐतिहासिक, सांस्कृतिक आ बौद्धिक दृष्टि सँ सदैव बिहार राज्यक गौरव रहल अछि। संपूर्ण मिथिला क्षेत्र आ देश-विदेश मे निवास करैत मिथिलावासी सदा सँ राष्ट्रीय जनतांत्रिक गठबंधन आ राज्य नेतृत्व प्रति अपन समर्थन प्रकट करैत आएल छथि। विगत विधानसभा चुनाव मे मिथिला क्षेत्र सँ गठबंधन कें मिलल व्यापक जनादेश एहि विश्वासक स्पष्ट प्रमाण मानल जा रहल अछि। मुदा एतेक व्यापक जनसमर्थनक बावजूद राजधानी पटना मे अवस्थित…
प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी दीयाबाती केर शुभ अवसर पर देशवासी नामे पत्र लिखलनि। पीएम शुभकामना देइत पत्र मे राम मंदिर निर्माण पश्चात दोसर दीयाबाती केर चर्चा करैत नक्सलवाद केर समाप्तिक जिकर केलनि आ कहलनि जे देशक दूर-दराज स्थित कतेको क्षेत्र मे पहिल बेर दीयाबाती पाबनि मनाओल जा रहल अछि। प्रधानमंत्री अपन चिट्ठी मे जीएसटी दर मे गिरावट, आत्मनिर्भर भारत आ स्वदेशी कें बढ़ावा देबाक विषय मे सेहो उल्लेख केने…